विद्यापति पदावली

विद्यापति

चानन भेल विषम सर रे, भुषन भेल भारी।
सपनहुँ नहि हरि आयल रे, गोकुल गिरधारी।।
एकसरि ठाठि कदम-तर रे, पथ हेरथि मुरारी।
हरि बिनु हृदय दगध भेल रे, झामर भेल सारी।।
जाह जाह तोहें उधब हे, तोहें मधुपुर जाहे।
चन्द्र बदनि नहि जीउति रे, बध लागत काह।।
कवि विद्यापति गाओल रे, सुनु गुनमति नारी।
आजु आओत हरि गोकुल रे, पथ चलु झटकारी।। 1

माधव हम परिणाम निरासा ।
तुंहूँ जगतारन दीन दयामय अतए तोहर विसवासा ।
आध जनम हम नींद गमायलु जरा सिसु कत दिन भेला ।
निधुवन रमनि-रभस-रंग मातनु तोंहे भजब कोन बेला  ।
कट चतुरानन मरि-मरि जाओत न तुअ आदि अवसाना  ।
तोंहे जनमि पुनि तोंहे समाओत सागर लहरि समाना  ।
भनहि विद्यापति सेष समन भय तुअ बिनु गति नहीं आरा ।
आदि अनादिक नाथ कहओसि अब तारन भार तोहारा  ।। 2

सखि हे हमर दुखक नहि ओर
इ भर बादर माह भादर सून मंदिर मोर ।
झम्पि घन गर्जन्ति संतत भुवन भर बरसंतिया।
कंत पाहुन काम दारुण सघन खर सर हंतिया ।
कुलिस कत सत पात मुदित मयूर नाचत मतिया।
मत्त दादुर डाक डाहुक फाटी जायत छातिया ।
तिमिर दिग भरि घोर जामिनि अथिर बिजुरिक पांतिया।
विद्यापति कह कइसे गमओब हरि बिना दिन –रातिया । 3

सखि, कि पुछसि अनुभव मोय .
से हों पिरीति अनुराग बखानइत, तिल-तिले नूतन होय।
जनम-अवधि हम रूप निहारल,नयन न तिरपित भेल ।
सेहो मधु बोल स्रवनहि सूनल, स्रुति-पथ परस न भेल ।
कत मधु जामिनि रभसे गमाओल,न बुझल कइसन गेल ।
लाख-लाख जुग हिये-हिये राखल,तइयो हिय जुड़न न गेल ।
कत बिदग्ध जन रस अनुमोदइ, अनुभव काहु न पेख ।
विद्यापति कह प्राण जुड़ाएत लाखे मिल न एक ।।4

नव बृन्दावन नव नव तरूगन, नव नव विकसित फूल।
नवल वसंत नवल मलयानिल, मातल नव अलि कूल॥
विहरइ नवल किसोर
कालिंदी-पुलिन, कुंज वन शोभन, नव नव प्रेम विभोर ।
नवल –रसाल-मुकुल-मधु-मातल नव कोकिल कुल गाय ।
नवयुवती गन चित उमताई, नव रस कानन धाय ।
नव जुवराज नवल बर नागरि मीलिए नव-नव भाँति ।
नित-नित ऐसन नव-नव खेलन, विद्यापति मति माँति ।।5

लता तरुअर मण्डप जीति, निर्मल ससधर धवलिए भीति ।
पउँअ नाल अइपन भल भेल, रात पहीरन पल्लव देल ।
देखह माइ हे मन चित लाय, बसंत-बिबाहा कानन-चलि जाय ।
मधुकर रमनी मंगल गाब, दुजबर कोकिल मंत्र पढ़ाव ।
करू मकरंद हथोदक नीर, विधु बरियाती धीर समीर ।
कनअ किंसुक मुति तोरन तूल, लावा बिथरल वेलिक फूल ।
केसर कुसुम करु सिंदुर दान, जतोदुक पाओल मानिन मान ।
खेलए कौतुक नव पंचबान, विद्यापति कवि दृढ़ कए भान ।।6

अभिनव पल्लव बइसंक देल । धवल कमल फुल पुरहर भेल ।।
करु मकरंद मन्दाकिनि पानि । अरुन असोग दीप दहु आनि।।
माह हे आजि दिवस पुनमन्त । करिअ चुमाओन राय बसन्त।।
संपुन सुधानिधि दधि भल भेल । भगि-भगि भंगर हंकराय गेल।।
केसु कुसुम सिन्दुर सम भास । केतकि धुलि बिथरहु पटबास।।
भनइ विद्यापति कवि कंठहार । रस बझ सिवसिंह सिव अवतार।। 7

सरसिज बिनु सर सर बिनु सरसिज, की सरसिज बिनु सूरे।
जौबन बिनु तन, तन बिनु जौबन की जौक पिअ दूरे।।
सखि हे मोर बड दैब विरोधी ।
मदन बोदन बड पिया मोर बोलछड, अबहु देहे परबोधी ।।
चौदिस भमर भम कुसुम-कुसुम रम, नीरसि भाजरि पीबे ।
मंद पवन बह, पिक कुहु-कुहु कह, सुनि विरहिनि कइसे जीवे।।
सिनेह अछत जत, हमे भेल न टुटत, बड बोल जत सबथीर।
अइसन के बोल दुहु निज सिम तेजि कहु, उछल पयोनिधि नीरा ।।
भनइ विद्यापति अरे रे कमलमुखि, गुनगाहक पिय तोरा।
राजा सिवसिंह रुपानरायन, रहजे एको नहि भोरा।। 8
अनुखन माधव-माधव सुमिरत, सुन्दर भेलि मधाई ।
जो नित भाव सभावहिं विसरल, आपन गुन लुबधाई ।
माधव अपरूप तोहारि सिनेह, अपने विरह अपन तन जरजर ।
जिवइते भेल संदेह ।
भोरइ सहचरि कातर दिठि हेरि, छल-छल लोचन पानि ।
अनुखन राधा राधा रटइत, आधा-आधा कहु बानि ।
राधा सयें जब पुनतहिं माधव, माधव सँय जब राधा ।
दारुन प्रेम तबहुँ नहिं टूटत, बाढ़त विरहक बाधा ।
दुहु सिद दारू दहन जैसे दगधई, आकुल कीट परान ।
ऐसन बल्लभ हेरि सुधामुखि, कवि विद्यापति भान ।।9

सरस बसन्त समय भल पाओलि
दखिन पवन बहु धीरे ।
सपनहुँ रूप बचन एक भाखिए
मुख सो दूर करू चीरे ।
तोहर बदन सम चान होअथि नहिं
जइओ जतन विहि देला ।
कए बार कटि बनावल नव कए
तइयो तुलित नहिं भेला ।
लोचन तुअ कमल नहि भए सक
से जग के नहिं जाने
से फेरि जाए नुकेलाई जल मय
पंकज निज अपमाने ।
भनइ विद्यापति सुन बर यौवति
इ सब लक्ष्मी समाने ।
राजा सिवसिंह रूपनरायन
लखिमा दे पति भाने । 10

सुनु रसिया अब न बजाऊ बिपिन बंसिया ।
बार-बार चरणारविन्द गहि, सदा रहब बनि दसिया ।
की छलहुँ कि होएब से के जाने,वृथा होएत कुल-हँसिया ।
अनुभव ऐसन मदन भुजंगम , ह्रदय मोर गेल डसिया  ।
नंद-नन्दन तुअ सरन न त्यागब ,बरु जग होए दुर्जसिया ।
विद्यापति कह सुनु बनितामनि,तोर मुख जीतल रसिआ ।
धन्य-धन्य तोर भाग गोआरिनी भरि भजु ह्रदय हुलसिआ ।। 11



Share:

कोई टिप्पणी नहीं:

शास्त्री I & II सेमेस्टर -पाठ्यपुस्तक

आचार्य प्रथम एवं द्वितीय सेमेस्टर -पाठ्यपुस्तक

आचार्य तृतीय एवं चतुर्थ सेमेस्टर -पाठ्यपुस्तक

पूर्वमध्यमा प्रथम (9)- पाठ्यपुस्तक

पूर्वमध्यमा द्वितीय (10) पाठ्यपुस्तक

समर्थक और मित्र- आप भी बने

संस्कृत विद्यालय संवर्धन सहयोग

संस्कृत विद्यालय संवर्धन सहयोग
संस्कृत विद्यालय एवं गरीब विद्यार्थियों के लिए संकल्पित,

हमारे बारे में

मेरा नाम चन्द्रदेव त्रिपाठी 'अतुल' है । सन् 2010 में मैने इलाहाबाद विश्वविद्यालय प्रयागराज से स्नातक तथा 2012 मेंइलाहाबाद विश्वविद्यालय से ही एम. ए.(हिन्दी) किया, 2013 में शिक्षा-शास्त्री (बी.एड.)। तत्पश्चात जे.आर.एफ. की परीक्षा उत्तीर्ण करके एनजीबीयू में शोध कार्य । सम्प्रति सन् 2015 से श्रीमत् परमहंस संस्कृत महाविद्यालय टीकरमाफी में प्रवक्ता( आधुनिक विषय हिन्दी ) के रूप में कार्यरत हूँ ।
संपर्क सूत्र -8009992553
फेसबुक - 'Chandra dev Tripathi 'Atul'
इमेल- atul15290@gmail.com
इन्स्टाग्राम- cdtripathiatul

यह लेखक के आधीन है, सर्वाधिकार सुरक्षित. Blogger द्वारा संचालित.